पटना। 19 नवम्बर। नई दिल्ली केँ संसद भवन केर तर्ज पर बनल बिहार विधानसभा के औपचारिक उद्घाटन आय शनिवार के' मुख्यमंत्री नीतीश कुमार करता। एहि दौरान मंत्रींमंडल के सभ सदस्य के संगे - संग विपक्ष के विधानसभा सदस्य सभ सेहो मौजूद रहता। करीब 362 करोड़ केँ लागत सँ बनल इमारत क' देखला पर बुझायत अछि जेना नई दिल्ली केँ संसद भवन सामना ठाढ़ अछि। बिहार विधानसभा के एहि नव भवन म' संयुक्त सत्र केर शुरूआत के संग आबै बला शीत कालीन सत्र सेहो चलत।
362 करोड़ लागत सँ बनल एहि भवन के बहुत रास खासियत अछि।भवन म' कुल 151 कमरा अछि। सदन म' कुल 550 सीट अछि। भवन केँ अगुलका हिस्सा संसद भवन जोका देखार दैत अछि। सभ मंत्री लोकनिक दफ्तर सेहो नबके भवन म' होयत जाहिठाम से ओ अप्पन काज क' सकता। ध्यान देबाक गप इ कि नव भवन के बनलाक बाद पुरनका भवन के की होयत ? तेँ अपने क' बता दी कि विधानसभा के पुरनका भवन क' हेरिटेज भवन केँ तरह राखल जायत।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।