खुशखबरी : कच्ची दरगाह - बिदुपुर गंगा ब्रिज लेल भेटल 33 सौ करोड़

पटना। 16 नवम्बर। उत्तर बिहार आर दक्षिण बिहार के बीच यातायात व्यवस्था क' आर सुदृढ़ करबाक लेल कच्ची दरगाह - बिदुपुर नव गंगा ब्रिज केर निर्माण म' एक बड़का बाधा ख़त्म भ' गेल अछि।  पुल निर्माण के लेल जरुरी बहुत पैघ धनराशि के लेल एशियन डेवलवपमेंट बैंक (एडीबी) सँ करीब 33 सौ करोड़ टक्का केर लोनक स्वीकृत भेट गेल अछि।

कैल्ह मंगलवार दिन राजधानी दिल्ली म' एडीबी आर केंद्र सरकार के बीच एहि पुल निर्माणक लेल लोन अग्रीमेंट पास भ' गेल। ऐहिक अंतर्गत एडीबी बिहार सरकार क' 500 मिलियन डॉलर (करीब 33 सौ करोड़) देत।  पुल निर्माण म' लगभग 5 हजार करोड़ खर्च होयबाक अनुमान अछि जाहि म' शेष राशि बिहार सरकार वहन करत।

कच्ची दरगाह सँ बिदुपुर तक बनै बला एहि छह लेन पुल केर कुल लंबाई 22.76 किलोमीटर होयत जाहिमें 9.76 किलोमीटर मुख्य पुल केर हिस्सा होयत। एहि पुलक निर्माण डेबू (कोरिया) एवं लार्सन एण्ड टुर्बो केर ज्वाइंट वेंचर करत। उम्मीद जताओल जे रहल अछि कि एहि पुलक निर्माण काज साल 2019 तक पूर्ण भ' जायत। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ