बैंक आर ATM सँ "दो हज़ार रुपये” केर बदला भेट रहल अछि ”दोन हज़ार रुपये"

दिल्ली। 11 नवम्बर।  बैंक आर ATM सँ दो हज़ार रुपये केर बदला भेट रहल अछि दोन हज़ार रुपये। जल्दबाज़ी म' 2000 केर नोट प्रिंट करबा म' भेल बड़का गड़बड़ी के कारण 2000 के नोट पर ”दो हज़ार रुपये” के बदला ”दोन हज़ार रुपये” प्रिंट भेल अछि।

भारत सरकार केर आदेश अनुसार 500 व 1000 टक्का केँ नोट बंद होयबाक बाद तेसर दिन सेहो लोगक समस्या दूर नहि भ' रहल छैन्ह। बैंक खुजलाक बाद पिछ्ला दुइ दिन सँ बंद पड़ल सभ बैंकक एटीएम सेहो आय  शुक्रवार दिन खुजल। एटीएम खुजलाक बाद सेहो लोग सभक समस्या दूर होयत नज़र नहि आइब रहल अछि, किएक जे एटीएम तेँ खुजल मुदा बैंक सभ द्वारा ओहि में टक्का नहि डालल गेल अछि, जाहि चलते एटीएम खुजलाक बादो लोग सभ क' राहत नहि भेट रहल अछि। हालात एहेन अछि कि आय भोरे सँ लोग सभ उम्मीद करि एटीएम पहुंचे लागला, लेकिन एटीएम म' टक्का नहि होयबाक कारण सभ के निराश भ' वापस आबे पड़लन्हि।

एटीएम सँ पाई नहि निकललाक कारण लोग सभ क' आइयो परेशानी केर  सामना करे पैर रहल छैन्ह। एमहर एटीएम स' टक्का नहि निकलबाक  कारण बैंक सभ म' आइयो बहुत भीड़ देखल गेल। बैंक खुजाई से पहिने लोग सभ कतार म' ठाढ़ छला। सुरक्षा क' ध्यान म' राखैत सभ बैंक म' आय पुलिस कर्मि केर ड्यूटी सेहो लगाओल गेल। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ