बिहार के भेटल मोदी सरकार सS एक और सौगात सीमावर्ती यूपी सेहो होएत फायदा




पटना। 13 नवम्बर। गोपालगंज के केंद्रीय मंत्री उमा भारती सौगात देली। जिला स गुजरा वाली गंडक नदी के कात में अहिरौली दुबौली सs लक कुचायकोट प्रखंडक विश्वम्भरपुर तक गाइड बांध बनत .
कुचायकोट प्रखंड कs दियारावासि आर गंडक दियारा संघर्ष समिति के विशेष मांग पर केंद्र सरकारक' जलसंसाधन मंत्री उमा भारती गाइड बांध बनाबा के लेल 68 करोड़ रुपया के आवंटन बिहार सरकार के देली .
गोपालगंज के बीजेपी सांसद जनक राम भाजपा कार्यालय में आयोजित प्रेस वार्ता में एही बातक जानकारी देला। 
एही योजनाक़ डीपीआर सेहो तैयार अछि। आब राज्य सरकार क' जिम्मेदारी अछि की वो टेंडर कराक एही गाइड बांध के निर्माण क' प्रक्रिया शुरू करैथ। सांसद के मुताबिक गाइड बांध के बन जए स कुचायकोट आर  सीमावर्ती यूपी के सेहो बाढ़ से मुक्ति भेटत। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ