बेगूसराय केर पुलिस अधीक्षक रंजीत कुमार मिश्रा कहला कि गुप्त सूचना केर आधार पर पुलिस मलाहीपुर दियारा क्षेत्र म' छापामारी करि अजीत कुमार उर्फ शूटरवा आर हुनकर सहयोगी बुचन मिश्रा क' गिरफ्तार केलन्हि। पुलिस क' देखि बांकि अपराधी भागवा म' सफल भेलाह। पुलिस अधीक्षक रंजीत कुमार मिश्रा कहला गिरफ्तार लग से 1 कार्बाइन, 2 मैगजीन, 7 देशी कट्टा, 33 गोली सहित कैको आपत्तिजनक सामान बरामद भेल अछि। शूटरवा पर जिला केँ अलग - अलग थाना म' 16 हत्या सहित कुल 29 मामला दर्ज छैन्ह जखनकि बुचन 5 आपराधिक मामला केँ आरोपी छैथ। पुलिस दुनु से पूछताछ क' रहल अछि आर शूटरवा के आन सहयोगि सभक गिरफ्तारी लेल छापामारी क' रहल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।