बिहारक विकास लेल एक मंच पर आयल राज्य आर केंद्र : नितिन गडकरी

छपरा। 17 अक्टूबर। केन्द्रीय परिवहन मंत्री नितिन गडकरी आय  एक दिनक बिहार दौरा पर छैथ। एहि क्रम म' आय ओ सभ सँ पहिने छपरा म' कैको कार्यक्रम केर उद्घाटन केलाह।  जाहि म' छपरा-रेवाघाट-मुजफ्फरपुर एनएच-102 आर छपरा-सीवान-गोपालगंज एनएच-85 केर शिलान्यास केँ संगे - संग प्रधानमंत्री कौशल विकास योजना केर अन्तर्गत राज्य केँ पहिल  ‘चालक प्रशिक्षण केंद्र’ के सेहो उद्घाटन केलाह। एहि कार्यक्रम म' उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव व केंद्रीय स्किल डेवलपमेंट मंत्री राजीव प्रताप रूडी सेहो मौजूद छलाह।

एहि मौक़ा पर' नितिन गडकरी कहला कि आजुक दिन बिहार केँ विकासक दृष्टि सँ महत्वपूर्ण आर  एतिहासिक अछि किएक जे बिहारक विकास लेल आय राज्य आर केंद्र केँ नेता एक संग  मंच मंच पर अछि। आगा ओ कहला कि प्रधानमंत्री कौशल विकाश योजना केँ तहत खुजाई बला एहि प्रशिक्षण केन्द्र म' आधुनिक तरिका सँ जीपीएस सहित कैयो नव तकनीक केर  माध्यम सँ हैवी वाहन चालक प्रशिक्षित कायल जेता।  देश म' लगभग अठारह से बाईस लाख प्रशिक्षित ड्राइवर केर जरूरत अछि।  देश के गरीब व बेरोजगार युवा एहिठाम प्रशिक्षण ल' पचास से पचपन हजार टक्का केर  नौकरी क' सकैत छैथ।


केन्द्र सरकर केँ तीन बरख म' बिहारक सभ 38 जिला सहित देश म' प्रधानमंत्री कौशल विकास योजना के अन्तर्गत पांच सौ वाहन चालक प्रशिक्षण केन्द्र खोलबाक योजना अछि। जाहि सँ बिहार सहित देश के युवा सभ क' रोजगार के अवसर प्रदान होयत।  केंद्रीय मंत्री जिला के दुइ स्टेट हाईवे क' एनएच म' परिवर्तित करबाक घोषणा सेहो केलाह। इ दुइ स्टेट हाईवे शीतलपुर सँ सीवान एवं सोनपुर के महेश्वर चौक सँ वाया मुजफ्फरपुर होयत नेपाल जाय बला सड़क अछि।

ओम्हर अप्पन भाषण के दौरान बिहार केँ उपमुख्यमंत्री  तेजश्वी यादव  छपरा के लेल कैको सौगात देबाक बात कहला, शहर म' लागि रहल जाम सँ मुक्ति लेल तेजस्वी यादव गांधी चौक सँ समाहरणालय तक ओवर ब्रिज केँ निर्माणक घोषणा केलाह।

सभा म' केंद्रीय मंत्री नितिन गडकरी के अलावा स्थानीय सांसद आर  केंन्द्रीय मंत्री राजीव प्रताप रूडी, पूर्व उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी, महाराजगंज सांसद जनार्दन सिंह सिग्रीवाल, अमनौर विधायक चोकर बाबा, छपरा विधायक सी. एन. गुप्ता, संजय मयूख सहित हजारो कार्यकर्ता मौजूद छलाह। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ