राँची। 17 अक्टूबर। अशोक नगर स्थित देवालय सभागार (राँची) म' आयोजित डॉ. ब्रज किशोर वर्मा मणिपद्म केर जन्मशती संगोष्ठी केँ कैल्ह दोसर दिन देश भरी सँ आयल विद्वान लोकनि द्वारा पठित आलेख पर गहन चर्चा - चिंतन केँ संग समापन भेल। दुनु दिन कुल १८ सँ बेसी विद्वतापूर्ण निबंध पढ़ल गेल।
साहित्य अकादेमी दिल्ली आर सम्पर्क राँची केर संयुक्त तत्वाधान म' विद्वान लोकनिक इ जमघट अपना आप म' अनौखा आर प्रथम संयोजन छल।
प्रथम सत्र मेँ जता श्री अजित आज़ाद (मधुबनी) द्वारा मणिपद्म केर बाल साहित्य पर विस्तृत चर्चा कायल गेल ओतहि डॉ. अशोक अविचल (जमशेदपुर) द्वारा हुनक उपन्यास पर प्रकाश देल गेल। एहि क्रम म' प्रो रविन्द्र कुमार चौधरी द्वारा मणिपद्म केर कविता पर विस्तार सँ प्रकाश देल गेल आर कैको काव्यांश केर वाचन सेहो कायल गेल। सत्र केर अध्यक्षता इंजिनियर मनोनाथ झा केलन्हि।
दोसर सत्र कुमार मनीष अरविन्द केर अध्यक्षता म' संपन्न भेल जाहि म' श्री बुचरु पासवान (झंझारपुर), डॉ शिव प्रसाद यादव (भागलपुर) आर डॉ योगानंदजी आलेख केँ पाठ केलन्हि।
दुनु सत्र केर संचालन साहित्य अकादेमी म' मैथिली - प्रतिनिधि डॉ वीणा ठाकुर केलन्हि आर अकादेमी दिश सँ एहि वृहद आयोजन हेतु धन्यवाद ज्ञापन देलन्हि।
संगोष्ठी केर अंत म' अकादेमी द्वारा एक आर कार्यक्रम "हमर झरोखा सँ" आयोजित कायल गेल। ऐहिक तहत मैथिली केँ श्रेष्ठ कथाकार स्व. राजमोहन झा केँ कथा साहित्य पर विद्वतापूर्ण टिपण्णी श्याम दरिहरे द्वारा प्रस्तुत कायल गेल।
अंत म' एक कवी सम्मेलन केर आयोजन भेल जाहि मेँ कृष्णमोहन, विवेक नन्द ठाकुर (अध्यक्षता), श्याम जी, अशोक अविचल, सियाराम सरस, अजित आज़ाद आर डॉ धीरेन्द्र मिश्र आदि लोकनि भांति - भांति केर कविता, गीत - गजल सभ सँ लोग भक क' विमोहित केलन्हि। सभा म' मैथिली आर हिन्दी केँ बहुत रास सिद्ध - प्रसिद्द विद्वान लोकनिक सहभागिता सराहनीय छल, जाहि केँ उपस्थित लोग सभ वरखो धरी नै बिसरथिन।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।