रांची सँ पटना जे रहल कृष्णा रथ बस दुर्घटनाग्रस्त भेला सँ एक केर मौत , आधा दर्जन यात्री घायल

पटना। 03 अक्टूबर। बख्तियारपुर-पटना फोरलेन केँ खुसरूपुर थानाक कटौना गाम लग रांची सँ पटना जे रहल कृष्णा रथ बस दुर्घटनाग्रस्त भ' गेल। एहि हादसा म' एक यात्री केर मौत भ' गेलन्हि, संगहि बस पर सवार आधा दर्जन यात्री घायल भ' गेला।

जानकारी केर मुताबिक़ रांची सँ पटना जे रहल बस चालक केर संतुलन बिगरबाक कारण अनियंत्रित भ' ऊलैट गेल, जाहि म' दबला सँ खुसरूपुर कटौना निवासी सेवानिवृत्त शिक्षक उमाशंकर प्रसाद (65 बरख) केर मौत घटनास्थल पर भ' गेलन्हि, जखन की बस म' सवार आधा दर्जन यात्री गंभीर रूप सँ घायल भ' गेलाह।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने