पहिने निकाह करबाक वादा, फेर यौन शोषण, आब केलन्हि इन्कार

दरभंगा। 25 अक्टूबर। जिला केँ सिंहवाड़ा थाना अंतर्गत कटासा पंचायत म' शादी केर झांसा द' एक युवती केँ यौन शोषण करबाक मामला सामना आयल अछि। दरअसल गौड़ीनाथ ब्रह्मपुर गाम निवासी पीड़िता के संग बियाह केँ नाम पर पिछला दुइ बरख सँ यौन शोषण करि आब निकाह सँ इंकार करबाक घटना सामना आयल अछि।  घटना केर संबंध म' पीड़िता द्वारा  सिंहवाड़ा थाना म' कैल्ह सोमवार दिन एफआईआर दर्ज कराओल गेल अछि। एफआईआर म' गामक मों शाहिद, शाहिद केँ पिता मो. अनवर आर माँ क' नामजद कायल गेल छैन्ह।

पीड़िता केँ मानी तेँ उक्त युवक निकाह करबाक बात पर कैको बेर हुनका संग शारीरिक संबंध बनेलन्हि। ओतहि निकाह केँ बात करबा पर युवक हमेशा टाल मटोल करैत रहलनि। अंत म' पीड़िता द्वारा पुछला  पर युवक निकाह सँ इंकार क' देलन्हि। जाहिक बाद मजबूरन पीड़ित युवती क' थाना म' एफआईआर दर्ज करबे परलैन्ह।

एहि मामला म' पुलिस के कहब अछि कि पीड़िता केँ बयानक आधार पर प्राथमिकी दर्ज क' लेल गेल अछि। पुलिस मामला केँ छानविन क' रहल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ