सुपौल। 25 अक्टूबर। सदर अस्पताल केँ उपरी तल पर 17 करोड़ 70 लाख के लागत सँ निर्मित होमै बला 150 शैय्या बला भवन केर शिलान्यास बिहार सरकार के उर्जा व वाणिज्यकर मंत्री विजेन्द्र प्रसाद यादव केलन्हि। एहि मौका पर अस्पताल परिसर म' एक कार्यक्रम केर आयोजन भेल।
कार्यक्रम क' संबोधित करैत मंत्री श्री यादव कहला कि खाली बिहार म' नहि पूरा देश म' डॉक्टर सभक कमी अछि। डॉक्टर सभक लेल वेकेन्सी निकालल गेल, मुदा आधो सँ कम केर पूर्ति भेल। निर्मली म' सेहो अस्पताल केर भवन बनी तैयार अछि, लेकिन डॉक्टर सभक कमी के चलते शुरू नै भेल अछि।
कार्यक्रम म' अनुमंडल पदाधिकारी नदीमुल गफ्फार सिद्दिकी, प्रभारी डीएस अजय कुमार भारती, पूर्व विधायक दिलेश्वर कामैत, पूर्व विधायक लखन ठाकुर, डॉ.अरुण कुमार वर्मा, डॉ.सीके प्रसाद, युगल किशोर अग्रवाल, डॉ.अवधेश सिंह, ओमप्रकाश यादव, पंकज झा सहित अन्य उपस्थित छलाह।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।