पराजित मुखिया प्रत्याशी संजना तांती केँ समर्थक केलन्हि सड़क जाम

सहरसा। 19 अक्टूबर। पटुआहा पंचायत केर पराजित मुखिया प्रत्याशी संजना तांती केँ नेतृत्व म'  मंगलवार क' सहरसा-बैजनाथपुर मार्ग पेट्रोल पंप लग हुनक समर्थक लोकनि सड़क जाम करि मुखिया केर गिरफ्तारी समेत कैको मांग केलन्हि।

डीएम के नाम देल गेल आवेदन म' पराजित मुखिया प्रत्याशी व हुनकर समर्थक सभ आरोप लगेलन्हि कि मुखिया मुकेश झा हुनका आर हुनकर समर्थक सभक संग अपमानजनक व्यवहार करैत छैथ।  ओतबे नहि   निवर्तमान सदर थानाध्यक्ष संजय कुमार सिंह पर भेदभाव करबाक आरोप सेहो लगेलन्हि। संजना तांती कहली कि पंचायत चुनाव के बाद बाहरी व गामक किछ असामाजिक तत्व द्वारा राजनीतिक वर्चस्व स्थापित करबाक लेल हमरा आर हम्मर समर्थक पर अकारण गोली-बारी कराओल गेल।

उपस्थित समर्थक सभ मुखिया पर दबंगई करबाक व भेदभाव करबाक आरोप लगबैत मुखिया क' गिरफ्तार करबाक मांग केलन्हि। संगहि दर्ज फुइस व फर्जी मुकदमा क' वापस लेबाक अनुरोध सेहो केलन्हि। जाम म' वार्ड पार्षद साजन शर्मा, रंजीत कुमार, राजेश कुमार, कमो शर्मा, दिलीप शर्मा, वार्ड पार्षद रेशमा शर्मा, राजेन्द्र शर्मा, योगेन्द्र शर्मा आदि मौजूद छलाह। सड़क जाम केँ सूचना पर सदर थानाध्यक्ष भाई भरत कुमार, नितेश कुमार आदि आता पहुँच लोग सभ क' शांत करबाक प्रयास केलन्हि। बाद म' एसडीओ जहांगीर आलम, मुख्यालय डीएसपी रश्मि स्थल पर पहुँच लोग सभ क' उचित कार्रवाई करबाक आश्वासन द' जाम समाप्त करेलन्हि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ