राजबल्लभ यादव मामला म' पीड़िता केँ ट्रायल कोर्ट म' गवाही पर 24 अक्टूबर तक रोक

दिल्ली। 19 अक्टूबर। आरजेडी विधायक राजबल्लभ यादव केर जमानत क' चुनौती देबै बला याचिका पर सुनवाई करैत सुप्रीम कोर्ट ट्रायल कोर्ट क' आदेश देलन्हि कि रेपपीड़िता केर गवाही दर्ज नै कराओल जाय। रेपपीड़िता  सुप्रीम कोर्ट म' अप्पन जान क' खतरा बतबैत कहली कि ओ बयान दर्ज नै करा सकती। मामला केँ अगला सुनवाई 24 अक्तूबर क' होयत। एहि मामला केँ सुनवाई सुप्रीम कोर्ट म' 17 अक्तूबर क' होयबाक छल जे नै भ' सकल।

राजबल्लभ पर एहि बरख 6 फरवरी क' बिहारशरीफ म' अप्पन आवास पर कथित तौर पर नाबालिग संग रेप केर आरोप छैन्ह। काफी समय तक गिरफ्तारी सँ भागवाक बाद स्थानीय कोर्ट हुनका भगोड़ा घोषित करि कुर्की केर आदेश देलन्हि। ऐहिक बाद राजबल्लभ सरेंडर केना छलाह। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने