मुलायम सिंह केर परिवार म' कलह सँ राबड़ी देवी बहुत दुःखी छथि

पटना। 24 अक्टूबर। उत्तरप्रदेश केँ सत्तारूढ़ समाजवादी पार्टी म' चली रहल   सत्ता संघर्ष सँ लालू यादव परिवार विशेषकरि राबड़ी देवी बहुत दुःखी छथि।  ओ चाहैत छथि, परिवारक कलह जल्दही परिवार म' सुलझाओल जाय।

उल्लेखनीय अछि कि  मुलायम आर लालू परिवार म' घनिष्ठ रिश्ता अछि।  हुनक बेटी राज लक्ष्मी समाजवादी पार्टी केर मुखिया मुलायम सिंह केँ पौत्र तेज प्रताप सिंह यादव के ब्याही छथि। गत माह हुनका पुत्ररत्न केर प्राप्ति भेल छैन्ह।

कैल्ह रविवार दिन संवादाता सभ जखन राबड़ी देवी सँ बात करे चाहलनि तेँ राबड़ी देवी पहिने इंकार क' देलीह मुदा मीडियाकर्मि सभक जिद केला पर राबड़ी देवी कहली कि समाजवादी पार्टी म' जे किछ भ' रहल अछि, बहुत दुखद अछि। परिवारक कलह जल्दिये ख़त्म होबाक चाही।

गौरतलब अछि कि उत्तर प्रदेश विधानसभा चुनाव म' राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद यादव के  सपा केर पक्ष म' करीब 100 रैलि क' संबोधित करबाक कार्यक्रम अछि, राजद के सूत्रक मुताबिक़ सपा म' मचल घमासान सँ लालू प्रसाद बहुत तनाव म' छैथ आर ओ लगातार फोन केर माध्यम सँ सपा प्रमुख मुलायम सिंह यादव केर सम्पर्क म' छैथ। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ