समस्तीपुर। 24 अक्टूबर। बिहार के समस्तीपुर जिलाक सिंघिया थाना अन्तर्गत सिंघिया गाम म' कैल्ह दिवाली के अवसर पर घरक पुताई लेल माटि एकट्ठा करबाक दरमियान अचानक माटिक ढेर ढहला सँ ओहि के नीचा दबी केँ तीन बचिया केर मौत भ' गेलन्हि। एहि हादसा म' दुइ महिला सेहो गंभीर रुपे जख्मी भ' गेलीह। पुलिस अधीक्षक नवल किशोर सिंह कहला कि मृतक म' पूजा कुमारी (16), मीरा कुमारी (15) आर सुनीता कुमारी (18) शामिल अछि।
पुलिस अधीक्षक नवल किशोर सिंह कहला कि तीनों बचिया अप्पन गामक आन महिला सभक संग दिवाली के अवसर पर घरक पुताई लेल खेत सँ माटि एकट्ठा करैत छली तखने एकाएक माटिक ढेर हुनका सभक उपर गिरलनि जाहि नीचा ओ सभ दबा गेली। हादसा म' जख्मी महिला म' एक सुनीता देवी (34) क' दरंभगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल भेजल गेलन्हि। जखन की दोसर घायल महिला केर इलाज स्थानीय अस्पताल म' जारी अछि।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।