रेल बजट प्रस्तुतिकरण समाप्त करब अनुचित डेग - कीर्ति आज़ाद

दरभंगा। 24 अक्टूबर। रेल बजट प्रस्तुतिकरण केर परंपरा क' केन्द्र सरकार दिस सँ समाप्त करबा सेँ सांसद सभक भूमिका क' कम करबाक  कोशिश कायल गेल अछि।

इ बात कैल्ह रविवार दिन  दरभंगा के सांसद कीर्ति झा आजाद अप्पन आवास पर पत्रकार लोकनि सँ कहलनि। आगा ओ कहला कि  लोहना-तारडीह, अलीनगर- घनश्यामपुर, बहेड़ी – मुक्तापुर रेल परियोजना ल' क' दिसम्बर म' दरभंगा जंक्सन पर अनिश्चितकालीन अंशन आरंभ कायल जायत।

केन्द्र सरकार पर निशाना साधैत ओ कहला कि आज जे सभ सांसद बनबाक लायक नहि छैथ ओ केन्द्र मंत्री पद केर शोभा बढ़ा रहल छैथ। ओतहि  दरभंगा- बेनीपुर-कुशेश्वरस्थान, देकुली- सिसौनी, अशोक पेपर मिल- चिकनी विदेश्वरस्थान पथ आर बेनीपुर- रसियारी-जमालपुर पथ क' राष्ट्रीय उच्च पथ म' शामिल  करबाक लेल केन्द्रीय परिवहन मंत्री सँ जल्दे भेंट करबाक गप कहला।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने