सुपौल केँ शिक्षिका नीतू सिंह ‘ग्लोबल टीचर्स रॉल मॉडल अवार्ड’ सँ मुम्बई म' सम्मानित

मुम्बई/सुपौल। 07 अक्टूबर। अंतरराष्ट्रीय शिक्षक दिवस 05 अक्टूबर केँ अवसर पर एमभीएल अकादमी महाराष्ट्र, मुंबई द्वारा शिक्षा एवं सांस्कृति के क्षेत्र म' विशिष्ट सेवा, बेहतर कार्य प्रणाली आर ग्लोबल समाजक लेल उत्तरदायित्व एवं सक्रिय पहचानक लेल स्थानीय बबुजन विशेश्वर बालिका उच्च विद्यालय केर राजकीय सम्मान सँ सम्मानित शिक्षिका नीतू सिंह क' ग्लोबल टीचर्स रॉल मॉडल अवार्ड 2016 सँ सम्मानित कायल गेलन्हि।

हुनका इ सम्मान सर्वश्रेष्ठ शिक्षक केर रूप म' हुनक विशेष योगदान केँ लेल  देल गेलन्हि। अपने क' बता दी शिक्षिका नीतू सिंह  5 सितम्बर 2016 क' राजकीय सम्मान सँ सम्मानित भेल छली, आब हुनका यूएसए म' सेहो  सम्मानित कायल जेतैन।

महाराष्ट्र विधानसभा केर अध्यक्ष श्री हरिभाऊ बागड़े आर उड़ीसा केर पूर्व राज्यपाल एमएस भंडारी  द्वारा प्रमाण पत्र, गोल्ड मेडल आर प्रतीक चिन्ह द' मुंबई म' रविंद्रनाथ मंदिर केर सभा भवन म' एक सम्मान समारोह आयोजित करि प्रतिभागि सभ क' सम्मानित कायल गेलन्हि। एहि  अवसर पर देश-विदेश एवं विभिन्न राज्य सभक शिक्षाविद‍्, राष्ट्रीय एवं राज्य पुरस्कार केर चयनित शिक्षिका उपस्थित छल।

ग्लोबल टीचर्स रॉल मॉडल अवार्ड प्राप्त केलाक बाद नीतू सिंह कहली कि सम्मान सँ बेसी महत्व हुनका लेल सेवा केर भावना छैन्ह। शिक्षक क' सम्मान भेटला सँ शिक्षक सभक एहि भावना क' समर्थन भेटैत छैक।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ