पटना। 26 अक्टूबर। ड्रीम गर्ल केर नाम सँ मशहूर फिल्म अभिनेत्री हेमा मालिनी कैल्ह मंगलवार दिन पटना में छली। हेमा मालिनी राजधानी के श्रीकृष्ण मेमोरियल हाल म' कला एवं संस्कृति विभाग दिस सँ आयोजित दीपावली समारोह म' अप्पन मनमोहक अंदाज सँ सभक दिल जित लेलिह। समारोह म' हेमा मालिनी के अंदाज केर दीवाना राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद सेहो नज़र अएलाह। समारोह म' मौजूद लालू हेमा मालिनी केर खूबसूरतीक खूब तारीफ केलन्हि। लालू एता धरी बाजला कि हेमा मालिनी सँ हमरा एतेक प्यार छल कि अप्पन बेटी केँ सेहो हम हेमा राखी देलहुँ। लालू कें एतबा कैहते समारोह म' मौजूद लोग सभ जोर-जोर सँ तालि बजायब शुरू केलन्हि।
एहि दौरान लालू सुशील मोदी पर सेहो व्यंग केलन्हि। लालू कहला – "सुशील मोदी क' सेहो न्यौता देना छलहुँ
हेमा मालिनी क' देखबाक लेल, ओ तेँ हमरा न्यौता पर कहियो आबैते नहि छैथ" ओतहि हेमा मालिनी सेहो लालू क' पटना बजेबाक लेल धन्यवाद देलन्हि। दीपावली समारोह म' हेमा मालिनी बैले नृत्य नाटिका केर प्रस्तुति द' लोग सभ क' मंत्रमुग्ध क' देलनि।
कार्यक्रम म' लालू प्रसाद यादव के बेटा तेजस्वी यादव सेहो उपस्थित छलाह। एहि अवसर पर तेजस्वी बाजला कि ई हम्मर सौभाग्य अछि जे पहली बेर हेमा मालिनी केर लाइव परफॉरमेंस देख रहल छी, जे हमर बाबूजीक कारण संभव भेल।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।