दिल्ली। 26 अक्टूबर। अपराधि सभक आतंक मानल जाय बला बहुचर्चित आईपीएस शिवदीप लांडे आब बिहार सँ चल जेता। केंद्र के गृह मंत्री बिहार सरकार सँ कहलनि कि तुरंत लांडे क' अप्पन प्रदेश सँ रिलीव करि। आईपीएस शिवदीप लांडे केर अर्जी पर केंद्र सरकार तीन बरख लेल हुनकर नियुक्ति महाराष्ट्र म' केलन्हि। महाराष्ट्र लांडे केर गृह राज्य अछि। लांडे एखन बिहार पुलिस केँ स्पेशल टास्क फोर्स (एसटीएफ) के एसपी पद पर तैनात छैथ। बिहार म' लांडे केर कैरियर शानदार रहल छैन्ह।
2006 बैच के आईपीएस अधिकारी लांडे क' डेपुटेशन पर महाराष्ट्र भेजबाक आदेश अक्टूबर माह केँ पहिल सप्ताह म' भारत सरकार के गृह मंत्रालय केना छल। तखन सँ लांडे क' बिहार सँ रिलीव करबाक इंतजार छलैन्ह। रिलीव करबा म' होयत देरी पर गृह मंत्री हुनका बिहार सँ तुरंत रिलीव करबाक लेल कहलन्हि। लांडे क' महाराष्ट्र जेबाक सरकारी फैसला सँ बिहार म' हुनकर चहेता सभ बड्ड निराश छैथ।

एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।