सहरसा। 26 अक्टूबर। दशहरा बितैते लोग दीपावली आर छठ पूजा केर तैयारी म' भीर जायत छैथ। हर बरख छठ पाबनि के मौका पर जिला प्रशासन सहित आम लोकनि पोखैर म' पैन भरबाक लेल परेशान रहैत छल। मुदा एहि बेर उल्टा अछि। एहि बेर भेल मूसलाधार बारिश शहर म' बाढ़िक स्थिति पैदा क' देना छल। एखन पोखैर के हालत एहेन अछि कि सभ पोखैर पैन सँ लबालब भरल अछि। छठ घाट केँ साफ-सफाई करबाक काज किछ पोखैर पर शुरू भ' गेल अछि। मुदा शहर के अधिकांश पोखैर केर स्थिति नारकीय बनल अछि। पहिने कम पैन रहला पर लोग सभ क' डुबबाक डर नहि रहैत छलैन्ह। एहि बेर पोखैर के हर सीढी पैन सँ लबालब भरा अछि।
शहर के गांधी पथ, न्यू कोलोनी, सुपर बाजार, बनगाँव रोड मसोमात पोखर कायस्थ टोला, पूरब बाजार, सराही, डुमरैल, पॉलिटेकनिक स्थित पोखैर केर हालत बदत्तर बनल अछि। पोखैर म' कूड़ा - करकट केर अम्बार लागल अछि। जाहिके देखनिहार कियो नहि अछि। ऐहिक अलावा मत्स्यगंधा झील तेँ जंगल केर रूप ल' लेना अछि।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।