करवा चौथ (बीहनि प्रेम कथा) - वी०सी०झा "बमबम"

बजार वाली कनियाँ चारि वरखक उपरांत बम्बई संऽ गांउ आयल छली ! आ आय ओ साउस कऽ बड्ड सिनेह पूर्वक कहै छथिन ( भलेहि पहिने साउस संग झरबा कारण पति बाहर ल'क चलि गेल रहैन मुदा आय ) माँ काल्हि करवा चौथ छियै छियैक से कनी - - - - - !

एतबहि त कनियाँ बजली ताहि पर साउस लोहछि कऽ तऽ गोबरक चोत छियै तऽ हम कि करियौक उठा कऽ फेक दियौक कि सैह हमर काज अछि कि ? एतय एलहु आ जूति चलबऽ लगलहु से नहि चलत हमरा लग से बुझि लियौ !

कनियाँ पूणः सिनेह पूर्वक बजलि हम जे नहि कहैत छियैन ! तखन कि कहैत छी अहाँ यई ? अहाँ हमरा पढ़ायब से हम पढ़ि लेव ? ओ तऽ हमर छौड़ा'क अहाँ माय नोन पढ़ा क खुआ देलक नहि त हम - - - - - गांउक लोक हमरा चिन्हैत अछि !

कहलियैन जे काल्हि करवा चौथक पावनि छियै से कने ओकर समान सब ओरियौन क दितथिन कनियाँ बजली !

साउस :- एंऽ यऽइ इ कोन गोबरक चोत नवका पावनि उखरलइ यऽइ  हमर साठि - पैंसठ वरखक वयस भेल आय धड़ि नहि गोबरक चोत पावनि संऽ भेंट भेल आ अहाँ नैन्ह दिनक नहि भेलहु कि हमरे पावनिक ज्ञान देवह लगलहु कि ना छियै !

~ नय यई माँ हम हिनका किआक जे छय से - - - -
~ तखन कि छियै इ गोबरक चोत ? आंय
~ इ पावनि जे सधवा स्त्रीगण अपन पति संऽ सिनेह करैत अछि से हुनक पैघ ओर्दा'क लेल करैत अछि !

~ अच्छ अहाँ'क इ कहवाक मतलव अछि जे हम अहाँ'क ससुर सऽ सिनेह नहि करैत छलहु आ नहि करैत छी सैह ने ? एलहु आ हमरा संग अराइर शुरु क देलहु किने ? अहाँ'क सैह मोन अछि तऽ हम आइये बउआ कऽ मोबाइल क'के  कहैत छियै अहाँ'क ओतहि लऽ जायत आ ओतय भड़ि मोन सिनेह आ गोबरक चोत पावनि करैत रहब ! हं एकटा बात कान खोलि कऽ सूनि लिऽ एतऽ ओ सब नहि चलत हमरा लग फूसिंयाहु के से बुझि के राखू !

~ आब हिनका के बूझेतनि ?

~ तऽ अहाँ मूने जे - जे अहाँ कहब से - से हम करैत रहब की !
आब पूतहु बेचारी कि करतिह चूपे रहनहि भल बुझलथि साउस त बात सुनतथि नहिए तखन व्यर्थे कलह !

   वी०सी०झा"बमबम"
                                 कैथिनियाँ

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने