खुशखबरी: राज्य क' आय सोम दिन ₹1727 करोड़क तीन नेशनल हाईवे परियोजना केर भेटत सौगात

पटना। 17 अक्टूबर। बिहारक सड़क मार्ग केर सूरत बदलै बला अछि।  सारण, तिरहुत व मुंगेर प्रमंडल केँ लाखों लोग क' केंद्र सरकार सौगात देबा जे रहल अछि।

राज्य क' आय सोमवार दिन ₹1727 करोड़क तीन नेशनल हाईवे परियोजना केर सौगात भेटत।  केंद्रीय सड़क परिवाहन मंत्री नितिन गडकरी आय प्रमुख नेशनल हाईवे केर सूरत बदलबाक दिशा म' अहम् परियोजना  केर शिलान्यास करता।

नितिन गडकरी आय मुजफ्फरपुर-बरौनी (एनएच-28) केर उद्घाटन करता संगहि दुइ बरख सँ लटकल दुइ अहम परियोजना छपरा-सीवान- गोपालगंज (एनएच-85) आर छपरा- रेवाघाट-मुजफ्फरपुर (एनएच-102) केर दुइ लेनक निर्माण केर शिलान्यास सेहो करता।

एनएच 85: छपरा-गोपालगंज - 94 किमी लंबा सड़क केर निर्माण म' 2 बरख लगबाक अनुमान अछि आर एहि म' कुल खर्च ₹855 करोड़ होयत। इ सड़क छपरा-एकमा-दरौंदा-सीवान-मीरगंज-थावे-गोपालगंज क' जोड़त।

एनएच 102: छपरा-मुजफ्फरपुर - निर्माण पर ₹516 करोड़ खर्च होयत।  एहि सड़क केँ कुल लम्बाई 74 किमी होयत। इ सड़क छपरा-गरखा- मकेर-वैशाली-मुजफ्फरपुर क' जोड़त।

एनएच 28: मुजफ्फरपुर-बरौनी 108 किमी दुइ लेन तैयार अछि। जाहिक उद्घाटन आय होयत। इ सड़क मुजफ्फरपुर- ताजपुर- बछवाड़ा- हसनपुर- बरौनी क' जोड़ने अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ