बाबा जयगुरुदेव जयंती पर कार्यक्रम केर दौरान वाराणसी म' भगदड़, 21 केर मौत

वाराणसी। 15 अक्टूबर। उत्तर प्रदेश के चंदौली आर वाराणसी जिला केँ  सीमा पर बाबा जयगुरुदेव जयंती पर आयोजित कार्यक्रम केर दौरान परिक्रमा क' रहल श्रद्धालु सभक बिच मचल भगदड़ म' 21 लोगक मौत भ' गेलन्हि आ 60 लोग गंभीर रुपे घायल बताओल जे रहल अछि। मृतक म' 17 महिला जखनकि 5 पुरुष बताओल जे रहल अछि।

जिलाधिकारी कुमार प्रशांत कहला कि चंदौली जिला म' गंगा किनारे डोमरी गाम म' बाबा जयगुरुदेव केर याद म' आयोजित दुइ दिवसीय जागरूकता शिविर म' आयल पैघ संख्या म' श्रद्धालु वाराणसी स्थित पीली कोठी सँ होयत डोमरी गाम जे रहल छल। रास्ता म' राजघाट पुल पर अचानक भगदड़ भेलाक कारण इ घटना घटल।

जिलाधिकारी कुमार प्रशांत कहला कि हादसा म' 21 लोगक मौत भेलन्हि संगहि 60 अन्य घायल छैथ जिनका सभ क' अस्पताल म' भर्ती कराओल गेल अछि, ओहि म' सँ पांच केर हालत नाजुक बताओल जे रहक अछि।  मृतक सभक शिनाख्त केर कोशिश कायल जे रहल अछि।  वरिष्ठ अधिकारी मौक़ा पर पहुंच हालात पर नजर राखने छैथ।

वाराणसी के एसएसपी आकाश कुलहारी कहला कि पहली नजर म' मौतक वजह गर्मी आर दम घुटब बुझा रहल अछि किएक जे भगदड़ एहेन स्थिति नै छल। लोग तीन घंटा सँ भीड़ म' फसल छल आर गर्मी बहुत बेसी छल।

वाराणसी के आईजी एस के भगत कहला कहा कि इ घटना दम घुतला केर कारण भेल। अखिलेश सरकार घायल सभक  मुफ्त इलाज आर मरै बला केँ परिजन क' 2-2 लाख केर मुआवजा राशि केर ऐलान केलन्हि।

ओतहि पणजी म' मौजूद प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी हादसे पर दुःख प्रगट करैत अधिकारि सभ सँ  बातचीत  केलाह आर  हर स्तर पर घायल सभक मदद करबाक लेल कहला।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ