फल्गु नदी म' नाह पलटला सँ 8 केर मौत

गया। 13 अक्टूबर। जहानाबाद जिला केँ बिशुनगंज सहायक थाना क्षेत्र केर फल्गु नदी म' मंगलवार दिन देर सांझ भेल नौका दुर्घटना म' सात महिला सहित आठ लोगक मरबाक खबर अछि। सब शव क' नदी सँ बाहर निकैल लेल गेल अछि।

पुलिस केर अनुसार, सुल्तानपुर सँ 40-45 लोग एक नाह पर सवार भ'  खिजरसराय दशहरा केर मेला देखबाक लेल जायत छलाह।  एहि दौरान  क्षमता सँ बेसी वजन होयबाक कारण नाह फल्गु नदी के पचमहला घाट पहुंचे सँ पहिने पलैट गेल।

इ सुचना बिशुनगंज केर थाना प्रभारी राजाराम कुमार कैल्ह बुधवार दिन  आईएएनएस क' देलन्हि, "दुर्घटना के बाद ग्रामीण सभक मदद सँ सब शव क' नदी सँ बाहर निकैल लेल गेल अछि।"

मृतक सभ म' सात महिला छथि।  मृतक सभ म' रूना कुमारी (15 बरख), पूजा कुमारी (15 बरख), सुलेखा कुमारी (14 बरख), काजल कुमारी (12 बरख), प्रियंका (16 बरख), विभा भारती कुमारी (15 बरख), सविता कुमारी (14 बरखा) आर रोहित कुमार (14 बरख) शामिल अछि।

सभ मृतक गया जिला के बेलागंज थाना क्षेत्र केँ रहिवासी बताओल जे रहल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ