शराबबंदी सँ आयल 'बदलाव' बुझबाक लेल बिहार सरकार करबा रहल अछि सर्वे

पटना। 19 अक्टूबर। बिहार म' शराबबंदी सँ प्रदेश केँ सामाजिक माहौल म' की बदलाव आयल अछि, ऐहिक पता लगेबाक लेल बिहार सरकार एक सर्वे करबा रहल अछि। सरकार सर्वे के माध्यम सँ इ बुझबाक कोशिश करत कि शराबबंदी केँ समाज म' ख़ास करिके महिला सभक रहन-सहन पर कतेक प्रभाव पड़ल।

सरकार एहि सर्वे केर माध्यम सँ इयो बुझबाक कोशिश करात कि राज्य केँ कुन - कुन क्षेत्र मे' एहि लेल विशेष जनजागरण चलाओल जे रहल अछि। राज्य समाज कल्याण विभाग केर एक अधिकारी के मुताबिक इ सर्वे 4 अक्टूबर सँ शुरू भ' चुकल अछि।

पूरा राज्य क' पांच भाग म' बांटी केँ सर्वे कायल जे रहल अछि, जाहिमें पूर्वी, पश्चिमी, उत्तरी, दक्षिणी आर राज्य केँ मध्यक्षेत्र शामिल अछि। महिला विकास निगम केर परियोजना अधिकारी मुकेश सिन्हा कहला कि एहि सर्वे केर माध्यम सँ इ पता लगाओल जे रहल अछि कि शराबबंदी केँ बाद बिहार के सामाजिक माहौल म' कुन तरहे आर कतेक परिवर्तन आयल अछि।

सर्वे केँ रिपोर्ट एहि बरखक अंत तक सरकार क' सौपल जायत।  अधिकारि सभक मानी तेँ सरकार सर्वे रिपोर्ट के हिसाब सँ प्रभावित क्षेत्र म' विशेष अभियान चलाओत। समस्या के अनुसार महिला सशक्तीकरण केर  योजना सेहो चलाओल जायत।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ