मैट्रिक आर इंटर केँ परीक्षार्थी लेल महत्वपूर्ण सूचना

पटना। 19 अक्टूबर। मैट्रिक आर इंटर केँ परीक्षा देबै बाला छात्र सभक लेल   महत्वपूर्ण सूचना बिहार विद्यालय परीक्षा समिति जारी क' देना अछि। परीक्षाक लेल पंजीकरण तिथि सेहो निर्धारित भ' गेल अछि।

एहि बरख इंटर व मैट्रिक केर परीक्षा लेल 25 अक्तूबर सँ 3 नवंबर धरी  रजिस्ट्रेशन होयत।  एहि बेर रजिस्ट्रेशन केँ सभ प्रक्रियाऑनलाइन होयत।  कैल्ह मंगलवार दिन बिहार विद्यालय परीक्षा समिति केर अध्यक्ष अानंद किशोर एहि बातक जानकारी देलाह। रजिस्ट्रेशन केँ लेल सभ स्कूल केँ प्राचार्य क' अलग - अलग यूजर आइडी व पासवर्ड देल जायत।

एहि बेर मैट्रिक व इंटर म' परीक्षार्थि सभक संख्या काफी बढ़बाक उम्मीद अछि, किएक जे 2016 म' मैट्रिक म' 8.5 लाख व इंटर म' 6 लाख परीक्षार्थी फेल भेल छलाह। इ सभ परीक्षार्थी  2017 केँ परीक्षा म' शामिल हेता।  बोर्ड के अनुसार एहि बेर मैट्रिक केँ परीक्षा म' 20 सँ 22 लाख व इंटर परीक्षा म' 16 सँ 18 लाख परीक्षार्थी शामिल हेता। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ