"मैथिली पत्रकारिता सम्मान-2016’’ सँ सम्मानित भेला 'मिथिला मिरर' केर संपादक श्री ललित नारायण झा

मिथिला विकास परिषद् कोलकाता द्वारा क्रांतिकारी मैथिली आंदोलनी बाबू साहेब चैधरी केर जन्म शताब्दी आओर कविचूड़ामणि काशीकांत मिश्र ‘मधुप’ केर स्मृति म' बड़ाबाज़ार लाइब्रेरी स्थित आचार्य विष्णुकांत शास्त्री सभागार म' आयोजित एक भव्य कार्यक्रम म' मिथिला मिरर केर  संपादक श्री ललित नारायण झा एवं प्रभात ख़बर कोलकाता केर संपादक श्री तारकेश्वर मिश्र जी क' क्रमशः मैथिली एंव हिन्दी पत्रकारिता म' बहुमुल्य योगदानक लेल ‘‘मैथिली पत्रकारिता सम्मान-2016’’ सँ सम्मानित कायल गेलन्हि।

राष्ट्रीय संगोष्ठी केर उद्घाटन करैत बांग्ला साहित्कार एवं साहित्य अकादमी कोलकाता केर पूर्व सचिव श्री रामकुमार मुखोपाध्याय कहला कि बिना मैथिली केँ बांग्ला साहित्य केर परिकल्पना नै कायल जे सकैत अछि। आय अगर रविन्द्र नाथ ठाकुर क' नोबेल शांति पुरस्कार भेटलन्हि तेँ हुनक  पटकथा कविकोकिल विद्यापति ठाकुर चार-पांच सौ बरख पहिने लिख चुकल छलाह।

कैको सत्र म' चलल काव्य गोष्ठी केर अध्यक्षता श्री अशोक झा केलन्हि।  जाहि म' उपस्थित सभ सवि लोकनि बाबू साहेब चैधरी एवं मधुप जी पर काव्यपाठ केलन्हि। जाहि म' सियाराम झा ‘सरस’ बुद्धिनाथ मिश्र, अशोक झा, अंजय चैधरी, कमलेश झा, युगल किशोर झा, लक्ष्मण झा, प्रोफेसर श्रृष्टि नारायण झा, कामदेव झा आदि अप्पन गरिमामयी उपस्थिति दर्ज करौलनि। कार्यक्रम केर संचालन भाष्कर जी केलन्हि। ऐहिक अलावा  मैथिली गीत-गायन प्रतियोगिता म' विजयी आशा मिश्र, गीता मिश्र, कुमारी अंबे झा, निशा झा एवं अंजना इस्सर क' एहो मैथिली सम्मान सँ सम्मानित कायल गेलन्हि।

मिथिला दैनिक टीम दिस सँ सभ लोकनि क' एहि उपलब्धिक लेल छिट्टा भरी शुभकामना आर बधाई। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ