सहरसा। 27 सितंबर। लगातार भ' रहल बारिश सँ शहर म' लोगक जिनगी अस्त व्यस्त भ' गेल अछि। पूरा शहर केँ मुख्य मार्ग पर जल जमाव सँ यातायात सेहो प्रभावित भ' रहल अछि। एहि बिच जल जमाव सँ परेसान शहरवासि सभ क' राहत देबाक लेल प्रशासन द्वारा जल जमाव बला क्षेत्र संगहि टूटल सड़क पर ईंटा गिरेबाक काज शुरू क' देल गेल अछि। कैल्ह सोमवार दिन रहमान चौक पर ईंटा गिरेबाक दैरान स्थानीय लोंग इ कही विरोध केलन्हि कि एक तेँ नगर परिषद जता - तता ईंटा गिरा चल जायत छैथ आर ओहिके बाद राहगीर सभक परेसानी शुरू भ' जायत अछि। दू पहिया वाहन चालक सदिखन दुर्घटना केर शिकार होयत छैथ। नगर परिषद अगर ईंटा गिरबैत अछि तेँ ओकरा रोलर चला क' समतल क' देल करैथ। नै तेँ तो एक्सीडेंट केर घटना बढ़ी जायत अछि। सड़क समतल रहला पर लोग पैनो म' निकैल जायत छैथ। मुदा पैनक नीचा बड़का - बड़का ईंटा रहला सँ आम लोगक समस्या बढ़ी जायत अछि। स्थल पर उपस्थित समाजसेवी चन्द्रकांत झा उर्फ टीपू झा रोषपूर्ण स्वर म' कहला कि नगर परिषद ईंटा गिरा क' चल गेल आब हमरा सभ क' सड़क केर गड्ढा म' ईंटा बिछाबे परी रहल अछि।
सहरसा : बारिश सँ उत्पन्न भेल जल जमाव आर सड़क पर भेल गड्ढा म' नगर परिषद द्वारा ईंटा बिछाओल गेल
जितमोहन झा (जितू)
0
जितमोहन झा (जितू)
हमर संक्षिप्त परिचय..
नाम: जितमोहन झा, घरक नाम "जितू"
जन्मतिथि ०२/०३/१९८५ भेल,
श्री बैद्यनाथ झा आ श्रीमति शांति देवी केँ सभ स छोट (द्वितीय) सुपूत्र।
स्व.रामेश्वर झा पितामह आ स्व.शोभाकांत झा मातृमह।
गाम-बनगाँव, सहरसा जिला। एखन मुम्बईमे एक लिमिटेड कंपनी में पद्स्थापित।रुचि : अध्ययन आ लेखन खास कs मैथिली ।
पसंद : हर मिथिलावासी के पसंद पान, माखन, और माछ हमरो पसंद अछि।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।