सहरसा : पंचायत नगर प्रारंभिक शिक्षक संघ के आह्वान पर शिक्षक सभक धरना

सहरसा। 06 सितम्बर।  बिहार पंचायत नगर प्रारंभिक शिक्षक संघ के राज्यव्यापी आह्वान पर कैल्ह सोम दिन नौ सूत्री मांग ल केँ शिक्षक लोकनि  धरना देलन्हि। स्थानीय सुपर बाजार मुख्य द्वार पर शिक्षक दिवस पर एक दिवसीय भूख हड़ताल सह धरना केर आयोजन करि अपमान दिवस के रूप म' शिक्षक लोकनि मनोलनि।

धरना क' संबोधित करैत संघ केँ जिलाध्यक्ष रोशन सिंह धोनी कहला कि बिहार सरकार अप्पन कायल गेल वादा सँ मुकैर रहल अछि। जाहि कारण सँ शिक्षक लोकनि केँ बाध्य भ' आंदोलन केर रास्ता अपनाबे पड़लन्हि। धरना क' संबोधित करैत वक्ता लोकनि कहला कि जाहि जीविका दीदी क' शिक्षक लोकनि अक्षर आंचल योजना केर अंतगर्त साक्षर बनोलनि उवे आब  शिक्षक सभक निरीक्षण एवं मूल्यांकन केर काज करती। एहि सँ  दुर्भाग्य शिक्षक सभक आर की भ' सकैत अछि। सरकार एहि निर्णय क' अविलंब वापस लैथ। मुख्यमंत्री केँ नाम सौपल गेल ज्ञापन म' समान काज, समान वेतन, सेवा शर्त अविलंब लागू होय, जीविका दीदी द्वारा विद्यालय केरनिरीक्षण अविलंब बंद कायल जाय, स्नातक शिक्षक सभ केँ  स्नातक ग्रेड म' पदोन्नति शीघ्र होय, वेतन केर भुगतान नियमित होय, आठ माह केँ वेतन देल जाय, शिक्षक सभक गैर शैक्षणिक काज सँ मुक्त कायल जाय सहित आन कैको मांग शामिल छल।

धरना म' शैलेश कुमार झा, अब्दुल क्यूम परवाना, प्रमोद कुमार झा, मो शाकिब रहमानी, मो इमरान, विकास यादव, प्रदीप कुमार झा, शशिकला कुमारी, ममता कुमारी, प्रसन्न कुमारी, राजेश सिन्हा, मनोज पासवान, चन्द्रभाल शूलपाणि, राजेश कुमार, रौशन कुमार, सुजीत, रामबहादुर चौपाल, रविश, गणेश कुमार, मुकेश कुमार, साहिद हुसेन, विपिन कुमार, अमन कुमार सिंह, दीपक कुमार सिंह, सुरेश कुमार, अली अहमद आदि उपस्थित छलाह। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ