मधुबनी : किसान सभक बीच मृदा स्वास्थ्य कार्ड केर वितरण

मधुबनी। 06 सितम्बर। प्रखंड कार्यालय परिसर अवस्थित कृषि भवन म' कैल्ह  सोम दिन एक कार्यक्रम केर आयोजन करि किसान सभक बीच मृदा स्वास्थ्य कार्ड केर वितरण कायल गेल। प्रखंड प्रमुख ममता देवी केँ अध्यक्षता मे आयोजित कार्यक्रम के अवसर पर प्रमुख ममता देवी  भटसिमर पश्चिमी पंचायत के 85 किसान सभक बीच मृदा स्वास्थ्य कार्ड वितरित केलनि।

कार्यक्रम क' संबोधित करैत उपप्रमुख संजय कुमार पटेल कहला कि खेती करब अत्यंत लाभदायक अछि। मुदा इ तखने संभव होयत, जखन हम सब किसान खेत म' आधुनिक तकनीक आर वैज्ञानिक विधि केँ प्रयोग करब शुरू करब। कार्यक्रम क' प्रखंड कृषि पदाधिकारी दिनेश प्रसाद सिंह  संबोधित केलनि। एहि अवसर पर पंसस रामबालक राम, विजय, संजय सज्जन, मीरा देवी, बैद्यनाथ यादव, किसान सलाहकार आर कृषि समन्वयक सेहो उपस्थित छलाह। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ