सहरसा। 22 सितंबर [तेजस्वी ठाकुर]। शहर केँ सभ मुख्य सड़क तालाब म' तब्दील भ' गेल अछि। पंचवटी चौक सँ कुनु तरहें बड़का गाड़ि तेँ निकैल जायत अछि, मुदा जनता केर हिम्मत जबाब द' देना अछि। विधायक अरुण कुमार यादव जी विधानसभा चुनाव केँ समये सँ बनल अछि पंचवटी चौकक ई हाल... बारिश केँ पैन तेँ आब अपनेक घरक सामना तक केन सड़क तोइर देना अछि आर जगह - जगह गड्ढा भ' गेल अछि। की, अपनेक नज़र एहि पर नै पड़ल ?
सहरसा केर लाइफ लाइन मानल जाय बला सड़क जे बस स्टैंड सँ सीधे पंचवटी चौक होयत सुपौल आर मधेपुरा क' जोरैत अछि, सहरसा केँ ओ मुख्य सड़क पंचवटी चौक डूबी रहल अछि। अपने क' बता दी ओहि पंचवटी चौक के सामना विधायक अरुण कुमार यादव जीक अप्पन छैन्ह आर राजद कार्यालय सेहो। लगातार भ' रहल बारिश सँ पंचवटी चौक पूर्णतः डूबी चुकल अछि, जकर दृश्य फोटो म' देखि सकैत छी। जाहि लेल विधायक अरुण कुमार यादव एखन धरी कुनु पहल नै केना छैथ। सड़क पर पैन जमा भेलाक कारण पंचवटी चौकक सड़क पूर्णतः खराब भ' गेल अछि। इ समस्या पंचवटी चौक सँ गंगजला चौक तक पहुच चुकल अछि।
सहरसा केँ पूर्व विधायक भाजपा केँ विधायक आलोक रंजन छलाह। एहि बेरिक चुनाव म' हुनकर करारी हार भेलन्हि आर राजद विधायक अरुण कुमार यादव जी जितलाह। जाहि के बाद सँ शहर केँ की हाल अछि तस्वीर एकर गवाह अछि। शहर म' जल जमाव केँ समस्या विकराल बनल अछि। जाहि क' विधायक अरुण कुमार यादव गंभीरता सँ नै लेलनि। शहर डूबी रहल अछि आर विधायक जी सहरसा छोइड़ लापता छैथ।
लोग सभक मानब छलैन कि सहरसा केँ युवा एवं तेजतर्रार जिला पदाधिकारी विनोद कुमार सिंह गुजियाल एक आधार छैथ जे शहरवासि सभ क' जलजमाव सँ निजात दिया सकैत छैथ। जिला प्रशासन मानलनि कि जल जमाव सहरसा शहर केँ एक गंभीर समस्या अछि, जाहिक निदान लेल प्रशासन गंभीर अछि आर निकट भविष्य म' एकर सकारात्मक परिणाम सभक समक्ष होयत। इ कहब छैन्ह सदर अनुमंडल पदाधिकारी जहागीर आलम केर।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।