नाह सँ कोसी नदी पार करबाक दरमियान कोसी नदी म' डूबल स्कॉर्पियो

खगड़िया। 27 सितंबर। नाह सँ चारि पहिया वाहन क' कोसी नदी पार करब वाहन मालिक क' महंगा परलैन्ह। डुमरी घाट स्थित बी.पी.मंडल सेतु क्षतिग्रस्त भेलाक बाद पुलक बीच बला भाग क' तोड़ीकेँ नवा बनाओल जे रहल अछि। जाहि कारण एनएच 107 भ' क' जिला के बेलदौर प्रखंड आर  सहरसा, सुपौल आर मधेपुरा केर यात्रा करनिहार यात्रि सभ क'  घोर कठिनाइ केर सामना करे पैड़ रहल छैन्ह।

कोसी म' पैन कम रहला पर कैको नाह क' आपस म' बांधी क' जुगाड़ पुल बना काज चलाओल जायत छल। मुदा कोसी नदी केरजलस्तर बढ़लाक बाद संगहि तेज धारा केर कारण बड़का - बड़का नाह सभक सहारा आदमी के संगे - संग  माल मवेशी आर वाहन सेहो डुमरी घाट भ'क आर-पार होयत अछि। एहि क्रम म' संतुलन बिगड़लाक कारण इ दुर्घटना भेल। काफी मशक्कत करबाक बाद स्कॉर्पियो क' नदी सँ बाहर निकालल गेल।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ