सहरसा। 28 सितंबर। भारी बारिश सँ प्रखंड क्षेत्र केँ बनगाँव, मुरली बसंतपुर, बलहापट्टी, रजोरा, वसुदेवा चैनपुर आदि गाम म' बाढ़ि एहेन स्थिति उत्पन्न भ' गेल अछि। जाहिक लेल कैल्ह मंगलवार दिन भाजपा युवा मोर्चा केर जिला अध्यक्ष श्री मिहिर कुमार झा केँ नेतृत्व म' सहरसा -सुपौल मुख्य मार्ग केँ बनगाँव चौक पर सड़क जाम करि घंटों यातायात बाधित कायल गेल छल।
सड़क जाम क' रहल लोग सभक कहब छल कि विगत किछ दिन सँ निरंतर भ' रहल बारिश सँ बनगाँव, मुरली बसंतपुर, बलहापट्टी,रजोरा, वसुदेवा चैनपुर आदि गाम केँ किसान सभक भारी क्षति भेल छैन्ह। जल जमाव सँ किसान सभक खेत म' लागल फसल पूरा तरहे बर्बाद भ' गेल छैन्ह। घर म' पैन घुसला सँ आब घर म' रहब मुश्किल भ' गेल अछि।
बाढ़ग्रस्त क्षेत्र घोषित करबाक लेल भाजपा युवा मोर्चा द्वारा बनगाँव चौक पर सड़क जाम पर तुरंत संज्ञान लैत बीडीओ द्वारा प्रभावित क्षेत्र केँ सभ स्कूल क' बाढ पिड़ीत सभक आश्रय लेल खोलबाक आदेश देल गेल संगहि आपदा सँ जुरल आन सभ सुविधा शीघ्र प्रदान करबाक आश्वाशन देल गेल।
एहि दौरान मंडल भाजपा अध्यक्ष आशुतोष झा, अमित झा, चमन झा, वीरेंद्र महतो, आशीष चौधरी, सहित सैकड़ों लोग मौजूद छलाह।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।