बहनोई केलन्हि युवती संग दुष्कर्म, MMS बना सोशल मीडिया पर देबाक देलन्हि धमकी

नालंदा। 02 सितम्बर। नूरसराय थाना क्षेत्र केँ दरूआरा गाम मे एक युवती अप्पन बहनोई पर दुष्कर्म करि एमएमएस बनेबाक आरोप लगेना छथि।  पीड़ित युवती बहनोई आर अप्पन बहिन के खिलाफ महिला थाना म' मामला दर्ज केलीह। पुलिस तुरंत कार्रवाई करैत आरोपी बहनोई आर बहिन क' गिरफ्तार केलनि।

घटना केँ बारे म' पीड़िता कहली कि किछ दिन पहिने हुनकर बहनोई हुनका अप्पन घर ल' गेलनि। एक दिन जखन हुनकर बहिन घर पर नै छली बहनोई हुनका पीबाक लेल कोल्ड ड्रिक देलन्हि। कोल्ड ड्रिक पीबाक बाद पीड़िता बेहोश भ' गेली। जाहि केँ बाद हुनकर बहनोई  हुनका संग  दुष्कर्म केलनि आर वीडियो बनेलनि।

एकर बाद ओ निरंतर शारीरिक संबंध बनेबाक कोशिश केलन्हि, विरोध करला पर पीड़िता क' वीडियो देखा धमकेलनी कि वीडियो क' सोशल मीडिया पर द' देब। पीड़ित युवती बहिनक घर सँ भागी केँ अप्पन घर पहुँच अप्पन माई - बाबूजी केँ अप्पन आपबीती सुनेलीह।

जखन माई - बाबूजी अप्पन जमाई राजू वर्मा सँ पूछताछ केलनि तेँ हुनको सभ केँ चुपरहबाक लेल धमकाओल गेल कि वीडियो क' सोशल मीडिया पर द' देब।

पीड़िता अप्पन माई - बाबूजी संग थाना पहुँच अप्पन बहनोई आर बहिन केँ खिलाफ मामला दर्ज केलि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने