डीएमसीएच म' पसरल अछि दबाई कालाबाजारि केँ नेटवर्क

दरभंगा। 02 सितम्बर। डीएमसीएच म' पसरल अछि दबाई कालाबाजारि केँ नेटवर्क। जाहि कारण करोड़ों केँ दबाई खरीददारी केलाक बादो डीएमसीएच म' भर्ती मरीज क' सरकारी दबाई नै भेटैंत अछि। बताओल जायत अछि कि दबाई के कालाबाजारिक इ गोरखधंधा कैको बरख सँ चैल रहल अछि। एकर खुलासा मंगल दिन ओय समय भेल जखन आरपीएफ जयनगर स्टेशन पर दुइ गोटा केँ सुपरमैक्स कंपनी केँ इंजेक्शन सेफ्रिया के 480 वायल संग गिरफ्तार केलनि।

गिरफ्तार नगर थाना क्षेत्र केँ मुफ्ती मोहल्ला निवासी राजकुमार गुप्ता व जयनगर केँ दवा व्यवसायी संतोष कुमार पुलिस क' बतौलनि कि बरामद भेल दबाई ओ फर्मासिस्ट रघुवीर भगत सँ किनने छला। अपने केँ बता दी कि रघुवीर वर्तमान म' पीएमसीएच म' फर्मासिस्ट छैथ। एहि सँ पहिने  2012 तक ओ डीएमसीएच केँ मेन दबाई स्टोर म' स्टोर कीपर छलाह।

सरकारी दबाई संग गिरफ्तारी के बाद पुलिसिया छानबीन म' एखन धरी जे बात सामना आयल अछि ओहि सँ स्पष्ट भ' गेल अछि कि उक्त इंजेक्शन डीएमसीएच सँ गायब कायल गेल अछि। अपने केँ बता दी कि डीएमसीएच म' सुपरमैक्स कंपनी की इंजेक्शन सेफ्रिया 1 ग्राम जकर बैच नंबर सीएक्सएल 36, 37 व 38 अछि। एहिके मेनुफैक्चरिग जनवरी 2016 व एक्सपाइरी दिसंबर 2017 अछि। डीएमसीएच म' 15 फरवरी, 20 फरवरी व 23 फरवरी क' एहि बैच केँ करीब एक लाख वाइल खरीदल गेल छल। आरपीएफ जे बबाई बरामद केना अछि ओकरो बैच नंबर सीएक्सएल 37 व 38 केँ अलावा 24 अछि। एकर पुष्टि ड्रग इंस्पेक्टर सुनील कुमार केलनि।

ड्रग इंस्पेक्टर इयो पुष्टि केलनि कि बरामद इंजेक्शन सरकारी आपूर्ति के अछि। गिरफ्तार लोग लग व पर्चेज बिल सेहो नै छल। जाहि सँ साफ अछि की दबाई सरकारी संस्था सँ चोरी के अछि। एहि ल'के  ड्रग्स एक्ट 18ए व 18ए6 के तहत प्राथमिकी दर्ज कायल गेल अछि। अपने केँ बता दी कि ई तेँ  सिर्फ रघुबीर के गप अछि। जे एखन डीएमसीएच म' पदस्थापित नै छैथ। एकर बादो यदि रघुवीर लग दबाई पहुँचल तेँ निश्चित तौर पर डीएमसीएच के कैको कर्मि सभक एहि मेँ हाथ अछि। ई कर्मी के - के छैथ एकर पता लगायब पुलिस व अस्पताल प्रशासन केँ लेल बड़का चुनौती अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ