दरभंगा। 12 सितंबर। बिरौल अनुमंडल मुख्यालय केँ इकलौता मिथिला स्टेडियम अप्पन बदहाली पर नार बहा रहल अछि। ई मैदान आजादी के पूर्व सँ खेलाड़ी सभक खिदमत करैत आबि रहल अछि। हरेक चुनाव म' एहि स्टेडियम के बदहाली दूर होयबाक उम्मीद जताओल जायत अछि। उम्मीदवार सभ सँ से आश्वासन सेहो भेटैत अछि। मुदा, चुनावी शोर समाप्त भेलाक बाद सभ सपना चकनाचूर भ' जायत अछि। उपेक्षा के कारण सँ एहि स्टेडियम केर पहचान मेटा रहल अछि। ओंकार उच्च विद्यालय केँ खेल मैदान क' स्टेडियम के दर्जा भेटल। स्टेडियम के दर्जा चारि बरख पहिने भेटल छल। पूर्व विधान पार्षद संजय झा केँ अथक प्रयास सँ विभाग द्वारा लाखों के लागत स' निर्माण काज शुरु कायल गेल छल जे चारि बरख बितलाक बादो पूरा नै भेल।
मेटा रहल अछि मिथिला स्टेडियम केर पहचान
जितमोहन झा (जितू)
0
जितमोहन झा (जितू)
हमर संक्षिप्त परिचय..
नाम: जितमोहन झा, घरक नाम "जितू"
जन्मतिथि ०२/०३/१९८५ भेल,
श्री बैद्यनाथ झा आ श्रीमति शांति देवी केँ सभ स छोट (द्वितीय) सुपूत्र।
स्व.रामेश्वर झा पितामह आ स्व.शोभाकांत झा मातृमह।
गाम-बनगाँव, सहरसा जिला। एखन मुम्बईमे एक लिमिटेड कंपनी में पद्स्थापित।रुचि : अध्ययन आ लेखन खास कs मैथिली ।
पसंद : हर मिथिलावासी के पसंद पान, माखन, और माछ हमरो पसंद अछि।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।