मिथिलाक संस्कृतिक गौरव 'पाग' क' भेटा स्टेट कैप केर दर्जा : डॉ. बीरबल झा

मिथिला लोक फाउंडेशन केँ चेयरमैन डॉ. बीरबल झा  बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सँ मिथिला के संस्कृतिक गौरव 'पाग' क' स्टेट कैप केर दर्जा देबाक मांग केलन्हि। 'पाग बचाउ' अभियान चला रहल डॉ.  बीरबल झा  एक पाती लिख मुख्यमंत्री सँ इ मांग केलन्हि।

मुख्यमंत्री क' भेजल गेल पाती म' मिथिला लोक फाउंडेशन केँ पदाधिकारि सभक अलावा बहुत रास लोकनिक हस्ताक्षर छल। पाती म' पाग के विषय म' विस्तृत जानकारी देल गेल छल आर एहि क' राज्य सरकार सँ यथाशीघ्र 'स्टेट कैप' घोषित करबाक आग्रह कायल गेल छल।

डॉ. बीरबल झा कहला कि पाग बचाउ अभियान केर माध्यम सँ मिथिलाक संस्कृतिक धरोहर व पौराणिक पहचान क' पुनर्जीवित करबाक पूरा कोशिश कायल जे रहल अछि। पाग क' 'स्टेट कैप' बनला सँ सिर्फ चारि  करोड़ मैथिलक सम्मान नै, अपितु पूरा राज्य के लेल गर्व केँ गप होयत।

आगा ओ कहला कि हिमाचल क' 'पहाड़ी टोपी' सँ आर राजस्थान व हरियाणा क' 'साफा' सँ चिन्हल जायत अछि। 'स्टेट कैप' केँ दर्जा भेटला पर बिहार क' 'पाग' सँ चिन्हल जायत। बिहार केँ एखन कुनु स्टेट कैप नै अछि, एहिलेल पाग क' राजकीय सम्मान केर वस्तु केँ रूप म' एहो इस्तेमाल कायल जे सकैत अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ