जखन जनता छैथ साथ तेँ अहाँक कुन बात : नीतीश कुमार

पटना। 12 सितंबर। राजद के बाहुबली नेता मोहम्मद शहाबुद्दीन जेल सँ बाहर अएलाक बाद शाही अंदाज म' कहलनि ‘‘हमरा लेल लालू प्रसाद नेता छैथ आर नीतीश कुमार परिस्थिति के मुख्यमंत्री छैथ।’’ शहाबुद्दीन के एहि  बयानक नीतीश कुमार जवाब देलन्हि।

नीतीश कुमार शहाबुद्दीन क' दुइ टूक कहलनि कि कुनु एक शख्स के कहला सँ किछ नै होयत अछि, जनता केँ बुझल छैन्ह किनका संग देबाक अछि। नीतीश जी आगा कहला कि जखन जनादेश साथ अछि तेँ एक व्यक्ति केँ कहला सँ किछ नै होयत।

अपने केँ बता दी  समर्थक आर राजद कार्यकर्ता सभक जोरदार स्वागत के बीच 11 साल बाद जेल सँ बाहर आयल शहाबुद्दीन नीतीश कुमार पर निशाना साधने छलाह। ओ पार्टी अध्यक्ष लालू प्रसाद केँ तारीफ केलनि आर साफ केलनि कि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आर हुनका बीच कभी नीक संबंध नै रहल।

राजद केँ राष्ट्रीय समिति के सदस्य शहाबुद्दीन क' राजद अध्यक्ष लालू प्रसाद केर करीबी मानल जायत छैन्ह। नीतीश कुमार के 2005 म' सत्ता म' अएलाक बाद शहाबुद्दीन के खिलाफ कैको लंबित मामला फेर सँ खोलल गेल आर शहाबुद्दीन के' जेल भेजल गेल।

शहाबुद्दीन कहला की हम सब हुनका पाछा मजबूतीक संग ठाढ़ छी।  नीतीश कुमार मुख्यमंत्री छैथ मुदा राष्ट्रीय नेता नै छैथ।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ