मधुबनी। 10 सितंबर। भाजपा के राष्ट्रीय नेता सह मधुबनीक सांसद हुक्मदेव नारायण यादव बेनीपट्टी प्रखंड के रामनगर गाम म' सांसद ऐच्छिक कोष सँ 9 लाख टक्का लागत सँ निर्मित पीसीसी सड़क केर उद्घाटन केलनि। सांसद श्री यादव कहला कि बिहार म' अराजकता केर माहौल अछि। नीतीश कुमार सीएम रहबाक नैतिक अधिकार हरा देना छैथ। बिहार म' किसान सभक हालत बदतर अछि। सरकारी नलकूप वर्षों सँ बंद परल अछि। पश्चिमी कोशी नहर अधूरा परल अछि। केंद्र सरकार द्वारा देल गेल राशि बिहार सरकार समय पर खर्च नै करैत अछि। पीएम ग्रामीण सड़क योजना के काज ठप परल अछि। राज्य लेल शर्मनाक बात अछि कि उच्च विद्यालय म' लड़की सभक लेल शौचायल केर व्यवस्था नै अछि।
आगा श्री यादव जी कहला कि शिक्षा, स्वास्थ्य, बिजली, परिवहन विकास के लिए आवश्यक तत्व अछि। बिहार एहि मेँ आन राज्य सँ पाछा चली रहल अछि। आतंक, आराजकता, सत्ताधारी दल के विधायक आ हुनकर समर्थक सभक उद्दंडता के कारण बिहार म' कानून व्यवस्था चरमरा गेल अछि। मौक़ा पर जिलाध्यक्ष घनश्याम ठाकुर, जिला उपाध्यक्ष देवेन्द्र प्रसाद यादव, जिला पार्षद सुनैना देवी, योगी यादव, सिहेश्वर कामत, सुभाष यादव, नवीण कुमार झा, आशुतोष कुमार ठाकुर, भवतोष कुमार ठाकुर सहित बहुत रास लोग मौजूद छलाह। जिलाध्यक्ष श्री ठाकुर रामनगर गाम मेँ सांसद श्री यादव क' पाग-शाल सँ सम्मानित केलन्हि।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।