बेनीपट्टी बस दुर्घटना पर विधायक श्रीमती भावना झा केर असंवेदनशील हरकत पर डिवेट

मधुबनी। 22 सितंबर [रोहित यादव]। बेनीपट्टी बस दुर्घटना पर बेनीपट्टी केँ बर्तमान विधायक श्रीमती भावना झा (मैडम) केर असंवेदनशील हरकत के बाद युवा सभक लगातार सोशल मीडिया पर विरोध हुनका प्रिंट आर इलेक्ट्रॉनिक मीडिया तक ल' गेलनि।

एहि  असंवेदनशील हरकत पर कैल्ह साँझ 6 बजे न्यूज इण्डिया पर डिवेट भेल, जाहि म' वर्तमान विधायक आर पूर्व विधायक, बर्तमान विधान पार्षद आर भाजपा (बिहार नॉट मिथिला) केँ बरिष्ठ प्रवक्ता श्री विनोद नारायण झा जी आर मधुबनी सँ समाजसेवी मुकेश पंजियार जी केर बहस क' बड्ड ध्यान सँ देखलहुँ आर सुनलहुँ।

जता एकतरफ मैडम श्रीमती भावना झा जी अप्पन बचाव करैत नजर ऐलीह ओतहि मुकेश पंजियार जी मुद्दा क' बड्ड मजबूती सँ राखला संगे मुद्दा पर अंतिम घरी तक डटल रहला। डिवेट म' जखन बारी आदरणीय विनोद नारायण झा जी केँ एलनि तेँ ओ बड्ड चतुराई सँ भावना जी क' राजनीतिक विरासत केँ चर्चा करि हुनका असंवेदनशील कहैत डिवेट सँ भागैत नज़र अएलाह।

श्री मान क' डर छलैन की चर्चा म' हमरा सँ उपयुक्त घटना म' भागीदारी पर सवाल नै पुइछ लिया कियो। जनाब, अपने  क्षेत्र के पूर्व विधायक आर वर्तमान एमएलसी छी,  क्षेत्रक जनता केर प्रति अपनेक बहुत किछ  कर्त्तव्य बनैत अछि, जाहि केँ निर्वाहन करबा म' अपने पिछले 6 बरख सँ नाकामयाब रहलहुँ। जनता अपने क' एहि नाकामयाबी के कारण सँ अय बेर नकारी देलनि। जाहि के बदला अपने एहि रूपे लोग सभ सँ ल' रहल छी। श्रीमान याद राखी, जतेक असंवेदनशील मैडम छली हुनका सँ रत्ती भरी कम अपनहुँ नै। जाहि प्रकारे अपने एतेक पैघ दुर्घटना सँ खुद क' अलग राखलहुँ  निश्चित रूप सँ निंदनीय अछि, घृणित अछि। एहि लापरवाही क' बेनिपट्टी केँ जनता कहियो नै बिसरता।

एक टिप्पणी भेजें

1 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।