पटना। 28 सितंबर। राजधानी पटना केँ मेडिकल हॉस्पिटल म' लावारिस मरीज सभक सेवा आर हुनक देखभाल करनिहार सिख समुदाय केर गुरमीत सिंह क' एहि बरख केर विश्व सिख अवॉर्ड सँ सम्मानित कायल जायत। द हिंदू केँ एक रिपोर्टक अनुसार लंदन स्थित संस्था द सिख डायरेक्टरी केर 'सिख्स इन सेवा' कैटिगरी के तहत लगभग 100 सँ बेसी लोग केर आवेदन आयल छल। जाहि म' गुरमीत सिंह क' विजेता चुनल गेलन्हि। इ समारोह 19 नंवबर क' लंदन म' होयत।
गुरमीत सिंह पिछले 20 बरख सँ बेसी समय सँ बिहार केँ सभसँ पैघ सरकारी अस्पताल पटना मेडिकल कॉलेज ऐंड हॉस्पिटल (PMCH) म' मरीज सभ क' भोजन कराबैत छैथ। हर रात्रि क' ओ PMCH जायत छैथ आर उन मरीज सभक देखभाल करैत छैथ, जिनकर देखभाल करनिहार कियो नै होइत छैथ। गुरमीत सिंह ओहि मरीज सभक लेल भोजन आर दवाई ल' क' जायत छैथ। अस्पताल प्रशासन द्वारा हुनका 2 बेर अस्पताल म' घुसबा सँ मना केलनि। दुनु बेर जिला मैजिस्ट्रेट केर दखल केलाक बाद हुनका अस्पताल म' जाय केँ अनुमति भेटन्हि। एहि समारोह के बारे म' बात करैत ओ कहला कि 'हमरा अंग्रेजी नै आबैत अछि, हम लंदन म' कोना बाजब ?'

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।