मार्कंडेय काटजू केर खिलाफ जेडीयू विधायक FIR दर्ज करौलनि

पटना। 28 सितंबर। बिहार केँ बारे म' सोशल मीडिया पर 'अपमानजनक' टिप्पणी केर मामले म' सर्वोच्च न्यायालय केर पूर्व न्यायाधीश मार्कंडेय काटजू केँ खिलाफ एफआईआर दर्ज कराओल गेल अछि। मार्कंडेय काटजू केँ खिलाफ एफआईआर जनता दल (युनाइटेड) केर विधायक नीरज कुमार दर्ज करौलनि।

विधान परिषद केर सदस्य नीरज कुमार कहला कि काटजू केर टिप्पणी बिहार, देश आर विदेश म' रही रहल करीब 10.5 करोड़ बिहारि सभ क' आहत केलनि अछि। एहि लेल हुनका खिलाफ एफआईआर दर्ज कराओल गेल अछि।

अपने क' बता दी काटजू सोमवार दिन अप्पन एक व्यंगात्मक पोस्ट म' पाकिस्तान क' कश्मीर समस्या के हल लेल एक पैकेज केर  पेशकश करैत लिखला कि पड़ोसी मुल्क यदि कश्मीर लेबा चाहैत अछि तेँ हुनका संग म' बिहार सेहो लेबा परतैन्ह।

काटजू अप्पन फेसबुक पोस्ट म' लिखला कि इ एकमुश्त सौदा अछि। अपने क' पूरा पैकेज लेबा परत या किछु नहि। हम अहाँ क' अगबे कश्मीर नै देब।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ