सहरसा : ऐतिहासिक श्री उग्रतारा महोत्सव म' आयोजित होयत क्विज प्रतियोगिता

सहरसा। 14 सितंबर। श्री उग्रतारा सांस्कृतिक महोत्सव केँ मौका पर  जिला स्तरीय क्विज व खेल-कूद प्रतियोगिता के आयोजन हेतु जिला प्रशासन व शिक्षा विभाग के अधिकारि सभक बैसार भेल। बैसार म' जिलाधिकारी विनोद सिंह 2 अक्टूबर सँ 4 अक्टूबर तक महिषी म' आयोजित एहि महोत्सव के मौक़ा पर शानदार क्विज प्रतियोगिता आयोजित करबाक लेल सभ प्रखंडक विज्ञान, सामाजिक विज्ञान व गणित के अनुभवी शिक्षक सभ सँ राय लेलनि।

डीएम द्वारा स्कूल सभ म' शैक्षणिक माहौल तैयार करबाक, प्रतिभावान छात्र-छात्रा सभ केँ आगू आनब आर हुनका सभ केँ ससमय समुचित मार्गदर्शन उपलब्ध करेबाक  उद्देश्य सँ महोत्सव के अवसर पर महिषी म'  सरकारी विद्यालय सभ म' अध्ययनरत छात्र- छा़त्रा सभक लेल क्विज एवं लिखित परीक्षा आयोजित करबाक बात कहल गेल। एहि प्रतियोगिता म' वर्ग 6 से 10 तक के पाठ्यक्रम केर आधार पर विज्ञान, सामाजिक-विज्ञान एवं सामान्य ज्ञान के वस्तुनिष्ठ प्रश्न पुछल जायत। जिलाधिकारी सभ प्रखंडक शिक्षा पदाधिकारि सभ क'  विषयवार एक- एक सौ वस्तुनिष्ठ प्रश्नावली 16 सितम्बर तक अनिवार्य रुप सँ उपलब्ध करेबाक निर्देश देलन्हि।

क्विज प्रतियोगिता लेल आयोजित बैसार म' डीआईओ एनएन मिश्रा प्रश्न पत्र तैयार करबाक आर क्विज केँ विभिन्न नियम  के बारे म' विस्तार सँ जानकारी देलन्हि। डीएम अप्पन स्कूली जीवनक अनुभव सभ सँ सांझा  करैत कहला कि स्कूल म' अनुभवी शिक्षक व अप्पन वरिष्ठ संगी सभक  संपर्क म' रहीकेँ बुलंदि तक पहुँचल जे सकैत अछि। आगा ओ प्रखंड स्तर पर बच्चा सभक चयन करि 26 सितम्बर तक सूची उपलब्ध करेबाक निर्देश सभ बीईओ क' देलन्हि।

उग्रतारा महोत्सव म' सभ प्रखंड सँ चयनित अंडर 17 बरख के छात्र/छात्रा सभक टीम हेतु कबड्डी आर वॉलीबाल प्रतियोगिता केर आयोजन सेहो कराओल जायत संगहि एथलेटिक्स के तहत 100 मीटर दौड़ आयोजित कायल जायत। बैसार म' वरीय उपसमाहर्ता भीम प्रसाद, डीपीआरओ बिन्दुसार मंडल एवं शिक्षा विभाग के अधिकारी गण उपस्थित छलाह।

एकरो पढ़ी : ऐतिहासिक 'श्री उग्रतारा महोत्सव' एहि बरख 2 अक्तूबर सेँ 4 अक्तूबर धरी मनाओल जायत

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ