बस हादसा में 50 लोग के मौत के आशंका 25 स'अधिक लाश वरामद पुलिश कएलक फायरिंग


मधुबनी : आई सोमवार क' भेल एक सड़क हादसा में यात्री बस कुंड में पलट गेल. एही हादसा में पच्चीस लोग के मौत भ चुकल अछि जखन कि दस गोटे के घायल अवस्था में निकालल गेला. घटना मधुबनी जिला क' बेनीपट्‌टी इलाका के अछि .
हादसा सs खिसियाल लोक सब घटना के विरोध में जाम आ बवाल कएला आर पुलिस प्रशासन के टीम पर हमला कएलक. लोक सब मौका पर पहुँचल डीएम पर भी हमला कएला आ हुनका घटनास्थल सs खदेड़ देला . पुलिस स्थिति के नियंत्रण में कर लेल हवाई फायरिंग सेहो कएलक।  जानकारी के अनुसार बस यात्रि के लक मधुबनी सs सीतामढ़ी जा रहल छल .
बस एक घंटा सs ज्यादा वक्त तक पाइन में डूबल रहल. ताजा समाद भेट तक पाइन में डूबल बस सs एखन तक पच्चीस श‌व के निकालल जा चुकल छल. स्थानीय लोकक मुताबिक जाहि गढ्ढा में बस पलटल अछि वो बैसि गहिर अछि एहन में सब यात्रि के जान जैबाक आशंका जतायाल जा रहल अछि.
मृतक के परिजन के 4 - 4 लाख रुपया मुआवजा 
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एही घटना पर गहरा शोक व्यक्त कएला आर एही हादसा में मारल गैल लोग के निकट परिजन के 4 - 4 लाख रुपया मुआवजाक' ऐलान कएला.
सीएम अपन दो मंत्रि‍ मदन मोहन झा आर कपिल देव कामथ के घटना स्थल पर जएबाक लेल कहला.

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ