कटिहार बनल बिहार केँ सभ सँ स्वच्छ रेलवे स्टेशन, किशनगंज तेसर स्थान पर

कटिहार। 17 सितंबर। रेलवे स्टेशन सभक स्वच्छताक मामला म' कटिहार क' पहिल जखन की किशनगंज क' तेसर स्थान प्राप्त भेल।  कटिहार रेल मंडल क' बेहतर पर्यटनक लेल पुरस्कृत कायल गेल। कटिहार और किशनगंज क' इ उपलब्धि स्वच्छता केर मामला म' भेटल।

रेल मंडल के डीआरएम कहला कि पूरा देश के बड़का स्टेशन क' पर्यटन क' बढ़ावा देबाक आर स्वच्छता अभियान चलेबाक लेल पिछले दिन रेल मंत्रालय के निर्देश पर एक कार्यक्रम केर आयोजन कायल गेल छल। एहि आयोजन म' कटिहार रेल मंडल के न्यू जलपाईगुड़ी स्टेशन क' स्वच्छता म' दसवां स्थान भेटल। कटिहार रेल मंडल के डीआरएम उमाशंकर सिंह कहला कि रेलवे लगातार अप्पन यात्रि सभक सुरक्षा के संग - संग सुविधा के मसला पर बेसी सँ बेसी ध्यान देबाक प्रयास म' लागल अछि।

डीआरएम कहला कि बाहर के लोग सभक मोन म' एहि इलाका केर स्टेशन  सभक ल'के  गंदगी बला परिकल्पना होयत छैन्ह लेकिन यात्रि सभक सहयोग केँ कारण कटिहार आर किशनगंज क' पूरा बिहार म' इ उपलब्धि हासिल भेल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ