सहरसा। 12 सितंबर। कैल्ह रवि दिन भाजपा के प्रदेश उपाध्यक्ष डा. रामनरेश सिह पत्रकार सम्मेलन म' कहला कि शहाबुद्दीन क' जेल सँ मुक्ति दिया भारत के लोकतंत्र म' न्यायपालिका केर सीधा अपमान मुख्यमंत्री केलनि। कैको हत्या केँ आरोपी शहाबुद्दीन क' पुलिस के सहयोग सँ साक्ष्य व प्रमाण क' न्यायपालिका तक नै पहुंचे देब न्यायपालिका के काज म' बाधा डालल गेल। सहरसा के डीबी रोड स्थित मैरेज रिसोर्ट म' आयेाजित पत्रकार सम्मेलन क' संबोधित करैत प्रदेश उपाध्यक्ष कहला कि हुनकर शूटर सभ द्वारा पत्रकार के हत्या, जेएनयू के मार्क्सवादी नेता चन्द्रशेखर के हत्या सहित आन कैको हत्या ई प्रमाणित क' देलक कि लोकतंत्र केँ हत्या शहाबुद्दीन द्वारा भेल अछि।
सम्मलेन म' उपस्थित भाजपा केँ पूर्व विधायक संजीव कुमार झा कहला कि एक तरफ एहि तरहक हत्यारा क' पुलिस के सहयोग सँ जेल स' छुड़ाओल जा रहा अछि दोसर तरफ पूर्व सांसद आनंद मोहन क' राजनीतिक विरासत आर ताकत पर आसीन होय बला नीतीश कुमार पुलिस के सहयोग सँ सजा काटबा के बादो जेल म' बंद करि राखने अछि। सत्ता केँ मोह म' लालूजी के पैर पर नतमस्तक भ' सुशासन बाबू के सुशासनक पोल खुइज चुकल अछि। नीतीश कुमार क' नैतिकता के आधार पर इस्तीफा द देबाक चाही। भाजपा नेता सभ शहाबुद्दीन जेहेन हत्यारा नेता सभ क' पुन: जेल म' डालबाक मांग केलनि। संगे भाजपा प्रदेश नेतृत्व के आहवान पर आगामी 14 सितंबर क' सभ जिला मुख्यालय म' धरना एवं प्रदर्शनक आवाहन केलनि।
पत्रकार सम्मेलन म' पूर्व जिप उपाध्यक्ष रितेश रंजन, भाजपा नेता नीरज गुप्ता, प्रांतीय नेता शशिशेखर सम्राट, पूर्व जिला पार्षद प्रवीण आनंद, शशि सिंह, गौतम कुमार, चंदन सिंह, योगेश पिंटू, मनीष भगत, विजय वसंत, बालेश्वर भगत, अभिषेक वर्द्धन, रतन ठाकुर आदि मौजूद छलाह।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।