घर म' घुसल पैन तेँ कलयुगी बेटा लाचार माय केँ बाढ़ि म' मरबाक लेल छोइड़ भाईग गेला

पटना। 23 अगस्त। बाढ़ि सँ प्रभावित पटना जिला केँ नकटा दियारा गाम मेँ एक 14 लोगक परिवार द्वारा बाढ़ि मेँ फसल अप्पन लाचार माय केँ छोड़ी केँ भागबाक गप सामना आयल अछि। खबर अछि कि एक कलयुगी बेटा अप्पन नेत्रहीन आर चलाई - फिरै मेँ लाचार माय केँ बाढ़ि म' मरबाक लेल छोइड़ अप्पन कनियाँ आर धिया - पुता संग भाईग गेला।

बाढ़ि मेँ फसल सुमित्रा देवी क' NDRF टीम द्वारा सकुशल घर सँ निकालल गेल। सुमित्रा देवी दुइ दिन सँ भूखल प्यासल कमर भैर पैन मेँ असगरे फसल छली। ओ अप्पन बेटा के बाट जोहैत छली। बेटा कही केँ गेल छलैन्ह जे माँ अहाँ रुकू हम सब के सुरक्षित जगह पर पहुंचा केँ आबैत छी तखन अहाँ केँ ल' चलब। 85 वर्षीय सुमित्रा देवी केँ 4 बेटा, 3 पुतहु आर बच्चा सभ सँ भरल 14 गोटाक परिवार छैन्ह। परिवार मेँ खाय - पीबाक कुनु कमी नै छैन्ह। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने