इस्कूल संऽ जाइत - अबैत काल छौंड़ा'क सब दिन साईकिल'क चेन उतरि जाइत छलैक ! झूठ आ सत्त से नहि कहि मूदा बेर - बेर उतरि कऽ चेन चढ़बय'क प्रयत्न करैत रहैत छल ! ओहो दिन ओहिना - - - -
परंच आय ओकरा काजल पूछि देलकइ आंय रउ तोहर साईकिल पछिला दू मास संऽ खराब छउ ओकरा तों ठीक किआ ने करबय छहि ?
~ गऽई ठीक तऽ हमरो मोन होइत अछि जे करा ली मूदा - - -
~ मिस्त्री नहि देखल छहु ?
~ मिस्त्री देखलो अछि चिन्हतहु छियहि आ सब दिन भेटतहु अछि !
~ तखन कोन दिक्कत छउ तोरा ?
~ दिक्कत इहय जे मिस्त्री के कहवाक साधंस नहि होयत अछि !
~ हे ले तूं तऽ अजबे लोक छंऽ रउ ! जखन कहबे नहि करबहि तखन ठीक केना हेतहु ?
~ गऽई डर होइत अछि कहि मिस्त्री कऽ कहबैक आ ओ ठीको नहि कऽ दियै आ घर पर उपरागो दऽ दिय !
~ धूरऽऽ एहनो भेलहि हं कि ? तूं एक बेर कहि कऽ त देखहि पहिने !
~ आ बुझि लहि जे जाँउ मिस्त्र नहि कहलकहु तखन !
~ तखन कि ? तूं एक बेर कहि कऽ त देखहि !
~ सैह ने ?
~ कतेक बेर कहियौक ?
~ एकर मिस्त्री तूंहि छहि !
~ आंय ! हम एकर मिस्त्री - - - -
~ हं गऽई ! इ तोरहि द्वारे उतरैत छलहि , तोहर एकटा हं एकरा ठीक कऽ देतहि , आ तूं एकरा ठीक करबहि तखने टा ठीक हेतहि ! नहि तऽ - -
~ नहि तऽ कि ? से तऽ तोरा हम जखन पहिनहि कहि देने छियहु हं तखन फेर कि !
~ फेर आब चेन नहि उतरतहि !
वी०सी०झा"बमबम"
कैथिनियाँ

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।