पूर्णियां। 8 अगस्त। रूपौली थाना क्षेत्र केँ धोबगिद्धा गाम मेँ एक युवक द्वारा एक आठ बरखक नाबालिग क' पहिने हवस केँ शिकार बनाओल गेल, आर फेर दरिंदगी सँ मासूम केर हत्या क' देल गेल। समाद भेटला पर पुलिस पहुँच केँ शव कब्जा मेँ ल पोस्टमार्टम लेल भेज देलन्हि आर आरोपी केँ गिरफ्तार क' लेलन्हि।
परिजन सभक मुताबिक, बचिया घरक पाछा सँ तरकारी आने गेल छली। बहुतो देर बाद जखन ओ घर नै पहुँचलि तँ परिजन सभ चिंतित भ' गेलन्हि । परिजन सभक खोजलाक बादो बचियाक कुनु पता नै चललैन्ह।
तखने एकाएक सभक नजर बगल केँ खेत म' परल। बचिया बीच खेत म' अचेत अवस्था म' पड़ल छली। बचिया केर गर्दैन आर पूरा देह पर खरोच केर निशान छल। परिजन तुरंत बचिया क' ल अस्पताल पहुँचलन्हि, जाहि ठाम डॉक्टर बचिया केँ मृत घोषित क' देलन्हि।
बचियाक खोजबाक दौरान ग्रामीण आर बचियाक मनिजराक खेत सँ पड़ोस केर गौरव शहनी क' निकलैत देखलन्हि। गौरव शहनी क' ग्रामीण सभ पकैड़ केँ पुलिस केँ हवाले क' देलन्हि।
एहि मामलाक समाद भेटला पर पहुँचल थानाध्यक्ष शिवशरण साह घटनास्थल केँ निरीक्षण केलन्हि। घटनास्थल सँ किछ नमूना एकत्रित करि शव क' पोस्टमार्टम लेल भेज देलन्हि। आरोपी सँ पूछताछ कायल जे रहल छैन्ह।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।