मुंबई। 4 अगस्त। कैल्ह राति NH17 पर महाराष्ट्र केँ महाड म' ब्रिटिश काल मेँ बनल करीब 170 बरख पुरान मुंबई-गोवा हाईवे पुल भारी बरसात केर करण सँ अस्सी फीसदी तक टुइट केँ बही गेल अछि। मुंबई सँ करीब 175 किलोमीटर दूर भेल एहि हादसा केँ बाद मुंबई-गोवा हाईवे केँ दुनु दिस बहुत लंबा ट्रैफिक जाम भ' गेल अछि।
कहल जे रहल अछि कि सावित्री नदी म' बाढ़िक पैन ऐला सँ पुल केँ नुकसान भेल अछि। एहि हादसा मेँ यात्री सँ भरल 2 बस केँ संगे संग लगभक 15 आन गाड़ि बहल। भारतीय तट रक्षक द्वारा लापता वाहन केँ खोज लेल चेतक हेलीकॉप्टर भेजल गेल अछि। राहत आर बचाव केँ दौरान 2 शव निकालल गेल अछि। हेलीकॉप्टर आर बोट केँ संग सर्च ऑपरेशन जारी अछि। एनडीआरएफ केँ टीम मौका पर पहुँच रेस्क्यू म' भिरल अछि। भारी बारिश आर पुल लग जलभराव केँ कारण रेस्क्यू मेँ परेशानी भ' रहल छैक।
अपने केँ बता दी एहिठाम 2 समानांतर पुल छल, एक नव पुल आर एक केर निर्माण ब्रिटिश काल म' भेल छल। पुरनका पल ढहल अछि। एहि हादसा मेँ 50 सेँ बेसी लोग लापता अछि।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।