
इ घटना सेना के साथ मुठभेड़ में मारल गेल बुरहान वानी के इलाका त्राल के अइछ।किछ अलगाववादी पाकिस्तान के स्वतंत्रता दिवस पर करीब ६५ स ८० फिट ऊँच मोबाइल के टावर पर पाकिस्तान के झंडा लहरा देने रहैथ। इ देखि राष्ट्रीय राइफल के एक जवान अपन कमांडिंग अधिकारी स इजाजत मांगी अपन जान के जोखिम में डाइल टावर पर स पाकिस्तान के झंडा उतैर तिरंगा लहरौलैन्ह।
एही दौरान जवान पर आतंकी घटना हेबाक सेहो आशंका छल लेकिन जवान निडर भ ऊपर चढ़ी गेलाह आ भारत के झंडा फहरा क किछु देर तक टावर के टॉप पर ठाढ़ छलाह।इ पूरा घटना के ड्रोन कैमरा में कैद कएल गेल आ इ फोटो वीडियो के लोक सोशल साईट पर खूब जमी क शेयर केलैन्ह।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।